नेपाल स्वास्थ्य सम्मेलन शुरू

स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालयक आयोजनमे नेपाल स्वास्थ्य सम्मेलन एत शुरू भेल अइछ । काइलधैर चलैबला सम्मेलनके उद्देश्य साझेदारी प्रवद्र्धन, ज्ञान आदानप्रदान आ देशक स्वास्थ्य क्षेत्रके चुनौतीबारे बातचित करब अइछ ।

‘नेपाल स्वास्थ्य सम्मेलन २०२४ः नेपालके स्वास्थ्य सेवाक सुदृढीकरण लेल प्रवासी नेपालीसभके संयोजन’ शीर्षकमे आयोजित सम्मेलनके उद्घाटन करैत ओइ मन्त्रालयके सचिव डा रोशन पोखरेल सम्मेलनसँ प्रवासी नेपाली समुदाय आ स्वास्थ्य क्षेत्रक समस्या पहिचान तथा तकरा निराकरणमे सहयोग पहुँचबाक विश्वास व्यक्त केलैन । आधुनिक प्रविधिके प्रयोग स्वास्थ्यकेँ प्रभावकारी बनाबैमे मद्दत होबाक ओ बतौलैन ।

विश्व स्वास्थ्य सङ्गठनके महानिर्देशक टेड्रोस आधानोम गेब्रेयेसस भिडियो सन्देशमार्फत सम्मेलनके सफलताक कामना करैत स्वास्थ्यकर्मीसभ स्वास्थ्य प्रणालीक मेरुदण्ड भेल उल्लेख केलैथ। सङे ओ विश्वमे रहल स्वास्थ्यकर्मी स्वास्थ्य प्रणालीकेँ मजबुत बनेबाक लेल एकजुट होबाक चाही कहलैथ ।